महात्मा गांधी सेतु क मरम्मत मे सहयोग नहि द रहल केन्द्र

पटना । बिहार क पथ निर्माण मंत्री डॉ प्रेम कुमार राज्य क जीवन रेखा महात्मा गांधी सेतु क मरम्मत मे केन्द्र क असहयोग पर चिंता व्यक्त करैत कहला जे एकर कारण पुल पर दुर्घटना भ रहल अछि। डॉ कुमार राष्ट्रीय राजमार्ग संख्या-19 पर स्थित महात्मा गांधी सेतु क स्थिति क समीक्षा बैठक क दौरान कहला जे राज्य सरकार गांधी सेतु पर यातायात सुचारू रखबा लेल वर्ष 2009-10 मे कईटा प्रस्ताव केन्द्र सरकार कए पठा चुकल अछि, मुदा केंद्र कोनो प्रस्ताव कए स्वीकृति प्रदान नहि केलक अछि। मंत्री कहला जे केन्द्र सरकार नहि त सार्वजनिक-निजी भागीदारी मोड पर महात्मा गांधी सेतु क रख-रखाव क स्वीकृति द रहल अछि आ नहि ए राज्य सरकार द्वारा पठाउल गेल प्राकलन कए मंजूर करि रहल अछि। ओ कहला जे राज्य क विकास क लेल गांधी सेतु क समानान्तर एकटा आओर महासेतु क निर्माण क जरूरत अछि, एकरा लेल सेहो केंद्र स सहयोग क अपेक्षा अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments