महग पड़त विधायक कए पीटब, होएत स्पीडी ट्रायल

पूर्णिया। रुपौलीक विधानसभा सह जदयू नेता बीमा भारती कए पीटब हुनकर वर कए महग पड़त। राज्यक मुखियाक निर्देश पर पुलिस एहि मामला क जांच स्पीडी ट्रायल स करेबाक फैसला केलक अछि। फिलहाल, बीमा भारती क पतिदेव अवधेश मंडल एहि मामला मे जेल मे बंद छथि।

अवधेश मंडल क आपराधिक इतिहास रहल अछि। पूर्णिया क एसपी नैयर हसनैन खान क अनुसार विधायक क पिटाईक मामला कए पुलिस स्पीडी ट्रायल कराएत। एकर अलावा एसपी क आदेश क बाद पटना क पीएमसीएच मे इलाजरत विधायक बीमा भारती क सुरक्षा आओर बढ़ा देल गेल अछि। पुलिस विधायक क अंगरक्षक स सेहो एहि घटना क संबंध मे बयान दर्ज करबा रहल अछि। एहि मामला मे पुलिस पति समेत नौ गोटे कए अभियुक्त बनेलक अछि। पुलिस गाड़ी क चालक कए सेहो गिरफ्तार करि लेलक अछि। हालांकि, अन्य आरोपी अब पुलिस गिरफ्त स बाहर छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments