महंग होइत उच्च शिक्षा

पटना। प्रदेश मे उच्च शिक्षा अगिला सत्र स महंग हेबाक आशंका अछि। एहि मे तीस प्रतिशत तक वृद्धि क अनुमान अछि। नव सत्र मे उच्च शिक्षा तीस स चालीस गुणा अधिक महंग हेबाक उम्मीद अछि। केन्द्र सरकार आ यूजीसी द्वारा विवि कए लंबा अरसा स आंतरिक स्रोत बढ़ेबा लेल कहल जा रहल अछि। हुनकर कहब अछि जे धीरे-धीरे अनुदान मे कमी कर देल जाइत। एहि लेल देश भर क सब टा राज्य क सरकार स विचार सेहो मांगल गेल छल। केन्द्र आ यूजीसी स संकेत भेटबाक बाद पिछला पांच वर्ष स विवि मे शुल्क वृद्धि क कसरत शुरू कर देल गेल छल। एहि दौरान कईटा कॉलेज द्वारा विभिन्न मद क शुल्क कए बढ़ा देल गेल, मुदा इ एतना चालाकी स कएल गेल जे छात्र कए भनक तक नहि लागल आ जखन पता लागल, तखन तक सत्र काफी आगू बढ़ गेल छल। पटना विवि मे एहि बेर परीक्षा संबंधित काज क शुल्क कए बढ़ा देल गेल अछि। एहि स पड़ै वाला अतिरिक्त बोझ कए प्रत्यक्षतौर पर छात्र स वसूलल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments