महंगाई पर चुप किया छथि राहुल : शाहनवाज

जमशेदपुर। लोकसभा चुनाव मे भेटल हारि क बाद भाजपा नेता फिलहाल कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी पर टिप्पणी करबा स बचि रहल छथि, मुदा भाजपा क कद्दावार नेता आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री शाहनवाज हुसैन देश मे आसमान छूबैत महंगाई क मुद्दा पर राहुल कए कटघरा मे ठार केलथि अछि। ओ कहला जे आखिर महंगाई क मुद्दा पर राहुल गांधी चुप्पी किया साधि रखने छथि। हालांकि, शाहनवाज गाम मे राहुल क दौरों क तारीफ सेहो केलथि। मुदा संगहि जोर द कए कहला जे दुर्भाग्यपूर्ण अछि जे युवा गांधी महंगाई क बारे मे एखन धरि चुप दथि। जखनकि, असल गप इ अछि जे आम आदमी महंगाई स बुरी तरह प्रभावित भेल अछि। एहन मे हुनकर चुप्पी सवाल ठार करैत अछि। शाहनवाज दलित महिला कलावती क घर क राहुल क दौरे क जिक्र करैत कहला जे इ नीक गप अछि जे ओ इ जनबा क कोशिश करि रहल छथि जे कलावती क घर मे आजादी क 60 साल बाद बिजली किया नहि अछि। मुदा, राहुल कए इ सेहो सोचबाक चाहि जे अधिकांश समय सत्ता मे कांग्रेस रहल अछि। ओ इ सोचथि जे गरीबी क लेल असली जिम्मेदार के अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments