मरीज कए आब रोजाना भेटत 50 टका

पटना। बिहार मे सरकारी अस्पताल मे भर्ती मरीज कए भोजन क लेल आब प्रतिदिन 25 टका क बदला मे 50 टका देल जाएत। राज्य सरकार पुलिस आधुनिकीकरण क लेल 17 करोड़ टका खर्च करबाक सेहो फैसला लेलक अछि। राज्य क कार्मिक सचिव दीपक कुमार कहला जे राज्य मंत्रिमंडल क बैठक मे इ फैसला लेल गेल जे सरकारी अस्पताल मे भर्ती मरीज कए भोजन क लेल आब प्रतिदिन 50 टका देल जाएत। कुमार कहला जे एहि स अस्पताल मे आर्थिक रूप स कमजोर मरीज कए काफी सुविधा होएत। ओ कहला जे मंत्रिमंडल क बैठक मे पुलिस क आधुनिकीकरण क लेल सेहो 17 करोड़ टका खर्च करबाक फैसला लेल गेल। एहि क तहत पुलिस कए आधुनिकतम हथियार आ सुरक्षित आ मजबूत वाहन उपलब्ध कराउल जाएत। एकरा अलावा राज्य क 17 जिला मे 7,721 बंद हैंडपंप क स्थान पर नव हैंडपंप लगबाक लेल 31 करोड़ टका देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments