मनसे प्रमुख राज ठाकरे क जमानत अर्जी खारिज

नागपुर। औरंगाबाद क बदनापुर कोर्ट मुम्बई नव निर्माण सेना (मनसे) प्रमुख राजठाकरे क जमानत अर्जी खारिज करि देलक अछि संगहि पुलिस कए हुनका हिरासत मे लेबाक आदेश देलक अछि। कोर्ट पुलिस कए हिदायत देलक अछि जे ठाकरे कए 2 जनवरी कए कोर्ट मे पेश कैल जाए।
गौरतलब अछि जे राज ठाकरे कए आइ कोर्ट मे पेश हेबाक छल, मुदा ओ पेश नहि भेलथि। राज आ हुनकर पार्टी क कार्यकर्ता पर उत्तर भारतीय कए पीटबाक मामला विचाराधीन अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments