मनमोहन देलथि ध्‍यान, होएत गांधी सेतु मरम्‍मत

पटना। बिहार सरकार आ सब दलक सांसदक गुहार क बाद आखिरकार केंद्र सरकार बिहार क जीवन रेखा महात्मा गांधी सेतु क संपूर्ण ऊपरी ढांचा कए बदलबा लेल तैयार भ गेल अछि। सूत्र क मुताबिक, प्रधानमंत्री क निर्देश पर केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री सीपी जोशी भारतीय राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण (एनएचएआइ) कए देश- विदेश क विशेषज्ञ स विचार-विमर्श करि शीघ्र पुल क ऊपरी संरचना कए दुरुस्त करबाक आदेश देलथि अछि। एनएचएआइ क डीजी आरपी इंदौरिया पुल निर्माण क मुतल्लिक गत दिवस स्थलीय निरीक्षण केलथि अछि। उल्लेखनीय अछि जे बनबा काल एशिया क सबस लंबा इ पुल राज्य क उत्तर कए दक्षिण स जोडैत अछि, बल्कि राष्ट्रीय राजमार्ग क हिस्सा सेहो अछि। 24 घंटा मे एहि पर स 60 हजार वाहन गुजरैत अछि। टोल टैक्स स एखन धरि पुल निर्माण क लागत स अधिक वसूली भ चुकल अछि। देखरेख क अभाव मे इ पुल जर्जर भ चुकल अछि। राज्‍य सरकार कई साल स केंद्र स एकर मरम्‍मत क गुहार करि रहल अछि। राज्‍य सरकार त एतबा धरि कहि चुकल छल जे अगर केंद्र एहि पुलक मरम्‍मत करेबा लेल तैयार नहि अछि त कम स कम राज्‍य सरकार कए एकर मरम्‍मत करबाक अधिकार द पुल कए बचेबा लेल पहल करै।राज्‍य सरकार क एहि मांग क अलावा राज्‍य क सब दल क सांसद एहि लेल प्रधानमंत्री तक स गुहार लगा चुकल छथि। राजद सांसद रघुवंश प्रसाद सिंह त कई बेर पत्र लिख कए एहि पुलक मरम्‍मत करबाक गुहार लगा चुकल छथि। मुदा आखिर मे प्रधानमंत्री क हस्‍तक्षेप स केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री सीपी जोशी एहि पुल क मरम्‍मत लेल सक्रिय भेला अछि। आशा अछि इ सक्रियता आगू सेहो बनल रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. माननिय भारत सरकार केँ ई डेग पहिनहि उठएबाक चाहैत छलन्हि, चलू देरहि सही दुरुस्त अयलाह । ओना बिहारक लोक कोनो भीख नञि माँगि रहल छलाह ।

Comments are closed.