मधेपुर-ठेंगरा क बीच पुलक कार्यआरंभ करताह नीतीश

झंझारपुर (मधुबनी) : दरभंगा आ मधुबनी कए जोडबा लेल कमला बलान पर 30 करोड टका स पुल निर्माण क तिथि तय भ गेल। एहि पुलक कायार्रंभ 18 मई कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करताह। एहि पुलक एकटा सिरा दरभंगाक ठेंगरा मे अछि त दोसर सिरा मधुबनी क मधेपुर क फटकी मे अछि। एहि पुल कए बनला स दरभंगा क दर्जन भरि पंचायत क सीधा संपर्क मधुबनी क दर्जन भरि पंचायत स भ जाएत। एहि गपक सूचना पूर्व विधान पार्षद संजय झा मधेपुर क बांकी, फटकी, भीठ, भगवानपुर आ प्रसाद गाम क भ्रमण क दौरान देलथि। श्री झा कहला जे एहि पुलिक मांग चारि दशक स भ रहल अछि जखन कि पिछला चारि साल स ओ खुद एकरा लेल व्यक्तिगत प्रयास क रहल छथि। बिहार सरकार एहि पुल क महत्व कए बुझैत एकर स्वीकृति प्रदान केलक अछि। एकर बनलाक बाद दरभंगा आ मधुबनीक दक्षिण भाग एक दोसर स जुडि जाएत। एहि अवसर पर ओ कहला जे मुख्यमंत्री 18 मई कए एहि पुल क ठेंगहा मे कार्य प्रारंभ करता। ओ लोक स मुख्यमंत्री क सभा मे उपस्थित हेबाक न्योत देलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments