मधेपुरा मे मेडिकल आ इंजीनियरिंग कॉलेज क लेल 25-25 एकड़

पटना । मधेपुरा क लोकक एकटा सपना पूरा हुए जा रहल अछि। ओहि ठाम मेडिकल आ इंजीनियरिंग कॉलेज खोलबाक मार्ग प्रशस्त भ गेल। इ दूनू तकनीकी संस्थान बीएन मंडल विश्वविद्यालय क अधीन होएत। संस्थान क लेल विश्वविद्यालय कए 25-25 एकड़ जमीन उपलब्ध करा देल गेल अछि। प्रधान शिक्षा सचिव अंजनी कुमार सिंह संग भेल उच्च स्तरीय बैठक मे दूनू कॉलेज क लेल निर्धारित क्षेत्र क चहारदीवारी बनेबाक निर्देश देल गेल। बैठक मे स्वास्थ्य आ विज्ञान-प्रावैधिकी विभाग क सचिव क अलावा बीएन मंडल विश्वविद्यालय क कुलपति आ कुलसचिव उपस्थित छलाह। बीएन मंडल विश्वविद्यालय क कुलपति प्रधान सचिव कए जानकारी देलथि जे विश्वविद्यालय क लग मे 97 एकड़ जमीन अछि। क्षेत्र क जनता क आकांक्षा कए देखैत मेडिकल आ इंजीनियरिंग कॉलेज क लेल जमीन उपलब्ध कराउल गेल अछि। ओ कहला जे जमीन प्रदान करबा स पूर्व विश्वविद्यालय सीनेट आ सिंडिकेट क मंजूरी हासिल करि लेलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments