मधेपुरा -मुरलीगंज क बीच दिसंबर स गाडी क परिचालन

मधेपुरा। पूर्व मध्य रेलवे क दौरम-मधेपुरा मुरलीगंज क बीच रेल क परिचालन एहि वर्ष दिसंबर स प्रारंभ भ जाएत। पूर्व मध्य रेलवे क मंडल रेल प्रबंधक सत्य प्रकाश त्रिवेदी कहला जे दिसंबर तक मधेपुरा-मुरलीगंज क बीच अमान परिवर्तन क कार्य पूरा करि लेल जाएत आ एकर बाद गाड़िक परिचालन शुरू भ जाएत। ओ कहला जे दौरम मधेपुरा रेलवे टिसन पर यात्री सुविधा क विस्तार कैल्‍ जा रहल अछि आ मकई आओर गेहूम क लदान क्षमता मे वृद्धि करबाक रेलवे प्रयास कए रहल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे 2008 मे कोशी मे आयल विनाशकारी बाढ क बाद स मधेपुरा-मुरलीगंज-पूर्णिया रेलखंड मे गाडी क परिचालन बंद अछि जखन कि मधेपुरा-पूर्णिया रेल लाईन क अमान परिवर्तन क कार्य क शुभारंभ 2004 मे तत्कालीन रेलमंत्री नीतीश कुमार केने छलाह, मुदा सात वर्ष बितलाक बादो एहि रेलखंड क अमान परिवर्तन एखन धरि नहि भ सकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments