मधुबनी स सीखए दिल्ली क समाज

पीडिता क चीत्कार सुनि बचेलक इज्जत, दुष्कर्मी कए ठामहि देलक सजा
मधुबनी । बाट स बाडी तक खेत स मकान तक आइ सब दिन बलात्कार पीडित क आवाज गूंज रहल अछि, मुदा जतए दिल्ली सन संभ्रांत आ विकसित शहर क समाज ओ गूंज कए सुनबा लेल तैयार नहि अछि ओतहि मधुबनी मे पीडिता क चीत्कार समाज सुनलक आ ओकरा बचेबा लेल सामने आयल। समाजक एहि सक्रियता स नहि केवल युवतीक इज्जत बचल बल्कि बलात्कारक प्रयास केनिहार दूटा युवक मे स एकटा क ठामहि फैसला सेहो भ गेल। जानकारीक अनुसार बेनीपट्टी थाना क्षेत्र निवासी युवती सोमदिन राति लगभग 12.30 बजे घर मे सुतल छल, तखन दूटा युवक युवती क कोठली मे घुसल। ओकर मुंह कए गमछा स बांधि जबरन ओकरा मकई क खेत मे ल गेल। ओहि ठाम दूनू युवक युवती संग दुष्कर्म क कोशिश करै लागल, एहि दौरान युवती क मुंह स अचानक गमछा हटल आ ओ चीत्कार मारि जोर-जोर स चिचिया देलक। युवतीक आवाज बाट पर चलैत लोक तक पहुंचल। एकर बाद बाटक लोक मकई खेत कए घेर लेलक। लोक कए देख दूनू युवक भागबाक प्रयास केलक मुदा ग्रामीण दूनू युवक कए ठामहि पिटाई शुरू क देलक। लोकक पिटाई स साधुशरण नामक युवक क ठामहि मौत भ गेल, जखनकि घायल युवक अर्जुन कामत कए पुलिस क हवाले क देल गेल।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Jatbe dukhad e samachar achhi otbek sukhad ehi ghatnak dosar pahloo je darsabait achhi je ekhanahun gramin elaka me manviy samvedna jiwit achhi. Delhi me ta besi sans lait machine sab achhi je pai kamai ke bhagam bhag me ne dosharak awaj suni sakait achhi aa nahi okara me kono dosarak prati samvedna. Ardharatriyo me ta kono gam san besi lok Delhi ken sarak par jagal rahit chhathi.

Comments are closed.