मधुबनी मे भीषण हादसा, 16 गोटे क मौत

सोनू मिश्र
मधुबनी । जीत क जस्न बदली गेल गम मे। आई मधुबनी क भरिय बिसनपुर क गुमटी नंबर 16 पर एकता बुलेरो क टक्‍कर 12570 डाउन गरीबरथ ट्रेन सा भा गेल। मुखिया चुनाव क स्थानीय प्रत्यासी क जीत क खबरि सुनि क जस्न मनेबा लेल हुनकर परिवारक लोक गणना स्थान पर जा रहल छल, तखाने रेल फाअक पर मधुबनी स जयनगर जा रहल  गरीब रथ  ट्रेन बुलेरो स टकरा गेल जाहि बैसल 17 यात्री मे स 12 गोटे क घटना स्थल पर मृत्यु भ गेल। चारि टा घायलक ईलाज क दौरान मौत भ गेल। गंभीररूप स घायल लोक कए इलाज लग क अस्पताल मे चलि रहल अछि। कहल जाइत अछि जे दिल्ली स जयनगर जाए वाला गरीबरथ ट्रेन अपन पूरा स्पीड मे छल। बोलेरो मे सवार ज्यादातर महिला छलथि। ओ वीणा देवी क मुखिया मे जीतबाक सूचना पाबि गणना स्‍थल पर जा रहल छलथि। ज्ञात हुए जे वोट क गिनती राजनगर मे भ रहल छल। प्रत्‍यक्षदर्शी क अनुसार टक्कर एतेक जोरदार छल जे बोलेरो काफी दूर तक धिाियाइत गेल। बोलेरो गरीबरथ क इंजिन मे फंसि गेल जेकरा बाद मे हटाउल गेल। एहि कारण स एहि रेलखंड पर किछु काल लेल रेल सेवा बाधित रहल। मृतक मे 15टा महिला छथि। जाहि मे सरिता देवी, रामदुलारी देवी, चंदा देवी, सपना देवी, सुधा देवी, सुनैना देवी, मुन्नी कुमारी, कल्पना कुमारी, अंकिता कुमारी, राजकुमारी देवी, काजल कुमारी, धर्मशीला कुमारी, नूतन कुमारी, उषा देवी, लीना देवी शामिल छथि। जखन कि पुरूष मे एकटा दीपक कुमार छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. अत्यंत दुखद समाद अछि………………… पर संगहि सोचबाक लेल प्रेरित करैत अछि जे गलती ककर ???

    एहि तरहक दुर्घटना आओरो बढ़ि सकैत अछि, मात्र रेल्वे टा नहि सड़क पर सेहो कारण मिथिला केर बीचो बीच ईस्ट – वेस्ट कोरिडोर नामक एक्स्प्रेस हाएवे बनि रहल अछि ।

    एहि तरहक विकास कार्य केँ रोकलो नञि जा सकैत अछि कारण ओ अत्यावश्यक अछि । तेँ लोक सभ सँ आग्रह जे ओ यातायात केर नियम सभ केँ जानथि आ अनुसरण करथि ।

  2. सहमत छि.. डॉ. कुमार जी सं..किया की जाबत तक लोक सब में Traffic sense नै एतै, एही तरहक घटना पर रोक लगेनेइ बहुत मुश्किल अछि…!!

Comments are closed.