मधुबनीक गिलेशन बाजार क बहुरत दिन

मधुबनी । प्रख्‍यात भाषाविद जार्ज ग्रियर्सन क नाम पर मधुबनीक जिला मुख्यालय स्थित गिलेशन बाजार क दिन जल्द बहुरत। एकरा चकाचक करबाक योजना तैयार भ गेल अछि। मधुबनीक लोक कए एकटा साफ आ सुंदर मार्केट मे खरीदारी क अरमान पूरा करबा लेल प्रशासन सक्रिय भ गेल अछि। एहि स मधुबनीक लोकक संगहि नगर परिषद क आमदनी मे सेहो कई गुणा बढोतरी भ सकैत अछि।मुदा सुंदर बाजार कए साफ आ अतिक्रमण मुक्‍त रखबाक जिम्‍मेदारी लेल मधुबनीक लोक कए सेहो अपन मनोवृत्ति कए बदलबा लेल प्रयास मे लागि जेबाक चाही।
जिला प्रशासन क अधिकारी स भेटल सूचना क अनुसार एहि बाजार कए एक बेर फेर स व्‍यवस्थित कैल जा रहल अछि जेकर बाद एहि बाजार स एतबा आमदनी भ जाएत जे नगर परिषद मे काज करनिहार कर्मी सब कए कहियो वेतन क संकट नहि रहत। अनुमान क मुताबिक एहि ठाम स वर्तमान टैक्स पर वसूली भ रहल अछि, अगर ओहि स वसूली होएत तखनो 15 लाख तक क आमदनी नगर परिषद कए भ जाएत। सरकार द्वारा टैक्स बढ़ाउल गेल टैक्स स वसूली भेल तखन त एहि मे आओर बढोतरी होएत। दरअसल, एहन बाजार अव्‍यस्थित आ अतिक्रमण से अस्‍त-व्‍यस्‍त भ चुकल अछि। प्रशासन एकरा पहिने ठीक करत फेर वसूली कए नियमित करबाक काज करत। दुकानदार आ प्रशासन दूनू क मानब अछि जे करोड क बाजार कौड़ी क मोल मे कर द रहल अछि, किया त बाजार अव्‍यवस्थित आ अंतिक्रमित अछि।
प्रशासन क कहब अछि जे बाजार काफी पैघ क्षेत्र मे पसरल अछि मुदा किराया नगण्य अछि। जखनकि एहि नगर परिषद क बाहर क विभिन्न क्षेत्र मे बनल मार्केट स नीक आमदनी प्राप्त भ रहल अछि। जानकार क कहब अछि जे नप मे पूर्व क राजनीति आ पूर्व क स्वार्थ परक राजनीति क कारण एहि महत्वपूर्ण बाजार क बेड़ा गर्क क देल गेल। एकर जीर्णोद्धार क दिशा मे कई बेर प्लानिंग भेल मुदा एकरा साकार करबा मे सबस पैघ अडचन एकर अतिक्रमण रहल। मुदा एहि बेर बाजार कए कोनो हाल मे व्‍यवस्थित कैल जाएत आ एकरा अतिक्रमण स मुक्‍त कैल जाएत। अतिक्रमण स मुक्‍त भेलाक बाद बाजारक दुकानक स्‍वरूप मे निखार आउत आ ओकर मांग बढत। प्रशासन क इ कहब अछि जे सुंदर बाजार क व्‍यवस्थित दुकान क आवंटन लेल पहिने स संचालित प्रतिष्ठान कए प्राथमिकता भेटत। एहि ठाम जे प्रतिष्ठान चलि रहल अछि ओ नव सवरूप मे सेहो ओतहि आ ओतबे जगह पर आवंटित होएत। प्रशासन क कहब अछि जे दुकान क ढांचा पुरान आ अतिक्रमण क कारण क्षत-विक्षत भ चुकल अछि एहन मे मार्केट मे सबटा दुकान कए आधुनिक रूप स बनाउल जाएत। साफ सफाई बेहतर तरीका स होएत आ एकरा लेल व्यापक इंतजाम रहत। पेयजल, जलनिकासी आ गंदगी क निस्तारण कए समुचित व्यवस्था उपलब्ध रहत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments