मदरसा आ वित्तरहित स्कूल क छात्रा कए भेटत साइकिल

पटना। राज्य सरकार सरकारी मदरसा आओर वित्तरहित विद्यालय मे पढ़निहारि छात्रा कए सेहो साइकिल खरीदबा लेल 2500 टका देत। शिक्षक पात्रता परीक्षा क संदर्भ मे क्षेत्रीय शिक्षा उपनिदेशक, जिला शिक्षा पदाधिकारी आ जिला शिक्षा अधीक्षक क संयुक्त बैठक 9 जून कए आहूत कैल गेल अछि जाहि मे हुनका जिला मे आवेदन पत्र क संख्या क आकलन करि वितरण केंद्र आ काउंटर क आवश्यक संख्या निर्धारित करि केंद्र क सूची अपन संग अनबा लेल कहल गेल अछि। जनता दरबार क बाद पत्रकार क समक्ष उक्त घोषणा करैत मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कहला जे आवेदन पत्र क वितरण आ ओकर प्राप्ति संग-संग नहि कैल जाएत। पहिने निर्धारित अवधि तक आवेदन पत्र वितरित कैल जाएत, उम्मीदवार निर्धारित अवधि तक भरि कए आवेदन कए ओहि केंद्र पर जमा करताह, जतए स ओ लेने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments