मजदूर कए आब भेटत बैंक स दरमाहा

पटना। पंजाब क लुधियाना मे बिहार क कामगार क मजदूरी आब बैंक स भेटत। बिहार स गेल श्रम अधिकारी कए पंजाब क अधिकारी बैंक मे बिना कोनो जमा राशि क कए एहि कामगार सबहक खाता खोलबाक आश्वासन देलथि अछि। श्रम संसाधन विभाग क प्रधान सचिव कहला जे लुधियाना मे बिहार क कामगार क संग स्थिति आब सामान्य भ चुकल अछि। लुधियाना मे स्थिति क जायजा लेबा लेल गेल श्रम विभाग क दूनू अधिकारी लौट एलाह अछि आ ओ अपन रिपोर्ट सौंप देलाह अछि। प्रधान सचिव दूनू अधिकारी संयुक्त श्रमायुक्त आरपी मंडल आ उप श्रमायुक्त अमरकांत सिंह क रिपोर्ट क हवाला स कहला जे लुधियाना क अधिकारी आश्वासन देलथि अछि जे जाहि कॉलोनी मे बिहार क कामगार रहि रहल छथि ओकर सुरक्षा क मद्देनजर थाना क स्थापना कैल जाइत। लुधियाना क अधिकारी श्रम अधिकारी कए इ सेहो कहला अछि जे कारखाना के मालिक कए सेहो निर्देश देल गेल अछि जे ओ बिहारी कामगार कए वेतन क भुगतान नकद नहि करि कए ओ बैंक क माध्यम स करैथि। मालूम हुए जे पिछला किछु माह स इ देाल गेल जे बिहारी मजदूरक माह भरिक कमाई स्थानीय गिरोह लूटि लैत अछि, जेकर विरोध मे पिछला हफ्ता मजदूर सब उग्र आंदोलन केने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments