मच्छर स बचबाक अछि त माछ पोसू

दरभंगा। सुनबा मे कनि अटपट जरूर लगैत अछि मुदा इ एकटा सच अछि जे मच्‍छर स बचबाक अछि त माछ पोसू। टीवी पर चलि रहल विज्ञापन मलेरिया से बचना है तो घर मे काला हिट रखो जेका नेशनल मलेरिया रिसर्च इंस्टीच्यूट दिल्ली क वरीय वैज्ञानिक डॉ. बीएन नागपाल कहला अछि जे मच्‍छर स बचबाक अछि त माछ पोसू। एकरा लेल पोखरि क लग मे माछ स प्रेम बढ़ाउ आ मच्छर जनित रोग स छुटकारा पाउ। डॉ. नागपाल छह जिला क डॉक्टर कए वेक्टर बीमारी स बचाव कए लकए चलि रहल प्रशिक्षण कार्यशाला मे भाग लेबा लेल दरभंगा आयल छलाह। ओ कहा जे माछ मच्छर क लार्वा कए खा जाइत अछि। एहि स मच्छर ओहि क्षेत्र मे पैदा नहि होइत अछि जाहि ठाम पोखरी रहैत अछि आ ओहि मे माछ पोसल जाइत अछि। आ कहला जे मलेरिया सन बीमारी स लडबा लेल पोखरी सबस नीक साधन अछि। मच्छर घर मे दुश्मन बनि कए लोक कए मलेरिया, फाइलेरिया, डेंगू समेत कईटा रोग क वायरस छोडि जाइत अछि। ओ कहला जे पोखरी क सफाई आ दबाई क छिडकाव एहि मे सहायक भ सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.