मगध क आयुक्त सहित कईटा डीएम क तबादला संभव

पटना । मगध प्रमंडल क आयुक्त केपी रमैया सहित भारतीय प्रशासनिक सेवा क छहटा अधिकारी आ भारतीय पुलिस सेवा क पांचटा अफसर क स्थानांतरण क चर्चा अछि। छुट्टी क दिन कार्मिक आ प्रशासनिक सुधार विभाग क कनीय अधिकारी आ बाबू कए दफ्तर बजाउल गेल छल। काफी सांझ तक कार्मिक आ प्रशासनिक सुधार विभाग क दफ्तर खुलल रहल, मुदा एखन धरि अधिसूचना जारी नहि भेल अछि। गृह सचिव अमीर सुभानी सेहो सचिवालय पहुंचल छलाह मुदा कोनो भारतीय पुलिस सेवा क अफसर क तबादला क चिट्ठी नहि निकलल। चुनाव आयोग क अनुमति क बाद अधिसूचना जारी भ सकैत अछि। मगध प्रमंडल क आयुक्त केपी रमैया क स्थानांतरण लेल लोजपा चुनाव आयोग कए ज्ञापन देने अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments