मंत्री कए भेटत पहचानपत्र

पटना । पहिने विधायक आ नौकरशाह क गला मे पहचानपत्र टांग कए सचिवालय आ विधानसभा एबाक गप सुनबा लेल भेटैत छल मुदा बिहार मे पहिल बेर आब मंत्री कए अपन गला मे पहचानपत्र टांग कए चलब अनिवार्य करि देल गेल अछि। एहन दोसर प्रदेश मे मंत्री क पहचान पर संकट एबाक कारण कैल जा रहल अछि। मुदा सूत्रक कहब अछि जे इ सुरक्षा कारण स कैल गेल अछि। मंत्रिमंडल सचिवालय पहचानपत्र बनेबाक प्रक्रिया शुरू क देलक अछि। एहि लेल मंत्री क फोटाग्राफी क काज पूरा भ चुकल अछि, आब एकरा केवल निर्गत करब बाकी अछि। मंत्रिमंडल सचिवालय क अधिकारी क अनुसार बिहार मे पहिल बेर मंत्री लेल पहचानपत्र देल जा रहल अछि। किया कि कईटा एहन मामला सामने आयल अछि जखन बिहार क कोनो मंत्री संसद भवन या केंद्र सरकार क मंत्रालय जाइत छथि त हुनका स पहचानपत्र क मांग करि देल जाइत अछि। ओहि स्थिति मे हुनका लज्जित हुए पडैत अछि। संगहि राज्‍यक सेहो बदनामी होइत अछि। एहि मामला पर सत्ता पक्ष आ विपक्ष दिस स कई बेर विस मे सवाल उठल अछि। अंत मे इ गप मुख्यमंत्री क समक्ष सेहो गेल। एकर बाद सरकार तय केलक जे मंत्री सब लेल पहचान पत्र बनत। अधिकारी क कहब अछि जे दिल्ली, आंध्र प्रदेश, हरियाणा समेत कईटा राज्‍य मे इ व्‍यवस्‍था लागू अछि मुदा बिहार मे इ व्यवस्‍था लागू नहि छल। पहिल बेर बिहार मे इ लागू भ रहल अछि। सुरक्षा क दृष्ट्रिकोण स सेहो एकरा उपयुक्त मानल गेल अछि। अगर मंत्री राज्‍य स बाहर कतहु निजी दौरा पर रहताह आ हुनकर सुरक्षा गार्ड हुनकर संग नहि होएत त ओ अपन पहचानपत्र देखा कए स्थानीय प्रशासन स सुरक्षा क मांग क सकैत छथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Bahut nik bad maithili je bich m kanek dabi gail chal, okra punarjivit karbak lel bahit bahit dhanyabad, Cinema k madhyam se je ahi samajk vastavik rurekha chail tekar pradarshan kayal ja sakait achi, sangahi humer ekta aur sujab achi j mithilakshar je lip achi je ki aab matra 5% mathil janait chathi, hamain tak Soitak kaj kartebta m chithi Mithilakhar m likhabak pratha chal muda gyank abhav m oho band bha gail okra punarjivit kayal jay aa e prayas kayal jay je besi s besi mathil mithilakhar sikhathi takhane e lip bachal rahat anyath purna ruen band bha jayt Jay Mathil, Jay Maithili.

Comments are closed.