भोजपुर क 39टा गाम कए मार्च स भेटत शुद्ध पेयजल

पटना । आर्सेनिकपीडि़त भोजपुर क  39टा गाम क  लोक कए मार्च स शुद्ध जल नसीब होएत। लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग मल्टी विलेज स्कीम क तहत शुद्ध जल मुहैया करेबाक काज शुरू केलक अछि।  90 प्रतिशत काज भ चुकल अछि। पीएचइडी मंत्री अश्विनी चौबे कहला जे बक्सर, पटना आ वैशाली जिला क सेहो 200 आर्सेनिकपीडि़त गाम मे इ योजना शुरू होएत। बक्सर क  130 गाम /टोला,  पटना क ग्रामीण इलाक क  25 आ वैशाली क  45 गाम मे इ योजना जल्द शुरू होएत। एहि तरह क गाम मे सोलर पंप स्थापित कैल जाएत आ ओहि स शुद्ध पेयजल क आपूर्ति होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments