भूदान लेल चलत अभियान : नीतीश

नीलू कुमारी
मधेपुरा : एक दिस बिहार सरकार लग लगभग भूदान आंदोलन मे विनोवा भावे कए भेटल 800 एकड़ भूमिक कोनो जानकारी नहि अछि त दोसर दिस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे राज्य मे भूमिहीन संस्थान लेल जमीन भूदान अभियान चलाउल जाएत। ज्ञात हुए जे भूदान आंदोलन मे सबस बेसी जमीन मिथिला क्षेत्र मे दान कैल गेल छल, मुदा सरकार लग एकर कोनो खाता उपलब्ध नहि अछि। जमीन क खोज करबाक कोनो प्रयास करबा लेल सरकार इच्छुक नहि अछि। नव दानदाता लेल जरूर भूमिदान क प्रक्रिया क सरलीकरण क देल गेल अछि। मधेपुरा क ग्रामीण विकास अभिकरण सभागार मे कोसी प्रमण्डल क जिला यथा- सहरसा, सुपौल आ मधेपुरा क विभिन्न योजना क कार्यान्वयन आ प्राप्त उपलब्धी क लगभग साढ़े चारि घंटा तक गहन समीक्षा क दौरान नीतीश कहला जे लोक कए भूदान लेल प्रेरित करबाक उद्देश्य स सब जिला मे तीन मासक विशेष अभियान चलाउल जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे अंचलाधिकारी भूदान कार्यक्रम क कार्यान्वयन मे तेजी अनबाक प्रयास करथि। भूमिहीन संस्थान क सूची संबंधित जिला पदाधिकारी आ ओहि क्षेत्र क जन प्रतिनिधि कए उेल जाए ताकि ओ अपन प्रयास स भवनहीन संस्था लेल दान मे भूमि प्राप्त क सकथि। मुख्यमंत्री कहला जे नव प्रावधान क तहत आॅगनबाड़ी केन्द्र, अस्पताल आ स्कूल लेल कैल गेल भूमिदान क बदला मे भूदाता क परिजन क नाम पर संस्था क नामकरण कैल जाएत। मुख्यमंत्री पदाधिकारी कए निर्देश दैत कहला जे ओ इ सेहो सुनिश्चित करथि जे दानदाता कए कोनो परेशानी नहि हेबाक चाही हुनका अकारण कार्यालय क चक्कर लगेबा लेल बाध्य जुनि करि। ओ कहला जे भूदाता लेल प्रक्रिया आसान कैल गेल अछि। आब राज्यपाल क नाम स जमीन दान कैल जाएत आ दान स्वीकार करबा लेल जिला पदाधिकारी कए प्राधिकृत कैल गेल अछि। जमीन क वैद्यता क जांच समाहर्ता कार्यालय स होएत। नीतीश कहला जे भूदान क प्रयास रंग आनि रहल अछि। भूदान स एखनधरि तिरहुत मे 122 आ दरभंगा मे 108टा विद्यालय लेल जमीन सुलभ भ चुकल अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे हुनकर प्राथमिकता सामाजिक सुरक्षा, आधारभूत संरचना आ कृषि मे अछि। एहि क्षेत्र मे बहुत किछु कैल जा सकैत अछि। एहि लेल कृषि रोड मैप मे एहि गप क उल्लेख अछि जे कोन प्रमंडल मे की भ रहल अछि। मुदा प्रमंडल स्तर पर इ देखा रहल अछि जे अधिकारी एहि लेल प्रयासरत नहि छथि। जा धरि जिला पदाधिकारी कृषि क्षेत्र मे रुचि नहि लेताह ता धरि रोड मैप क फायदा नहि होएत। जाहि ठाम जिला पदाधिकारी रुचि ल रहल छथि ओहि ठाम एकर नीक परिणाम आबि रहल अछि। नीतीश कहला जे रोड मैप मे इ सेहो कहल गेल अछि जे कोन योजना चलाकए किसान क आमदनी बढ़ाउल जा सकैत अछि। कृषि क मतलब केवल खेती नहि होइत अछि, एहि मे सब किछु अछि- मुर्गीपालन, पशुपालन, मत्स्य पालन संग संग आओर बहुत किछु। नीतीश कहला जे हुनका जनैत कोसी प्रमंडल क क्षेत्र अत्यधिक उपजाऊ अछि, धान लेल इ क्षेत्र काफी उपयुक्त अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments