भूदान क जमीन पर कब्जा करनिहार जेताह जेल

पटना । राजस्व आ भूमि सुधार मंत्री रमई राम कहला अछि जे भूदान क जमीन कए अतिक्रमण स बचेबा लेल सरकार सख्त कानूनी प्रावधान केलक अछि। आब भूदान क जमीन पर  कब्जा करनिहार कए 20 हजार टका जुर्माना आ एक वर्ष क सजा होएत। दोसर दिस ओ कहला जे मौसम क खराबी क कारण आब सितम्बर-अक्टूबर स एरियल सर्वे शुरू होएत। राजस्व आ भूमि सुधार विभाग क सचिव हुकुम सिंह मीणा कहला जे 38 जिला मे भूमि क हवाई सर्वे लेल तीनटा एजेंसी क चयन कैल गेल अछि। आठ जिला मे डाटा कैपचर क काज पूरा भ चुकल अछि। इ जिला नांलदा, सारण, भागलपुर, मुंगेर, शेखपुरा, बेगूसराय, लखरीसराय आ खगड़िया अछि। एहि मे बेगूसराय, लखीसराय आ खगड़िया जिला क डाटा कैपचर एक सप्ताह क अंदर भेटत। मीणा क अनुसार दरभंगा, मधुबनी, किशनगंज, भागलपुर, मुजफ्फरपुर, भोजपुर, बक्सर आ रोहतास मे खतियान क डिजिटाइजेशन क बाद एकरा विभागीय वेबसाइट पर राखि देल गेल अछि। मीणा कहला जे सरकार जमीन क कमी पूरा करबा लेल लैंड बैंक बनेबा पर कार्रवाई तेज क देलक अछि। एकरा लेल दू अरब टका क स्वीकृति देल गेल अछि। सरकार एकरा लेल जिला मे सौ एकड़, अनुमंडल मे 50 एकड़ आ प्रखंड मे 30 एकड़ क लैंड बैंक बनेबाक फैसला केलक अछि। ओतहि किसान क सुविधा लेल आन लाइन दाखिल-खारिज करेबा पर सेहो सरकार गंभीरता स विचार क रहल अछि। सरकार फिलहाल पायलट प्रोजेक्ट क रूप मे आरा मे आनलाइन दाखिल-खारिज क सुविधा देने अछि। श्री राम कहला जे आब जमीन मालिक कए भूमि क नक्शा आ खतियान लेबा लेल जिला मुख्यालय जेबाक जरूरत नहि रहत, हुनका इ सबटा दस्तावेज अचंल मे बनि रहल आधुनिक अभिलेखागार स भेट जाएत। सरकार प्रदेश क कुल 534 अंचल मे आधुनिक अभिलेखागार बना रहल अछि, जाहि मे स  203टा आधुनिक अभिलेखागार क निर्माण क स्वीकृति देल गेल अछि संगहि भवन निर्माण विभाग कए एकरा लेल 81 करोड़ भुगतान सेहो क देल गेल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments