भूटान देख रहल अछि बिहार क बदलाव

पटना। भूटान क गृह आ सांस्कृतिक मंत्री लोएनपो मिंजूर दोरजी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स भेंट केलथि अछि। ओ मुख्यमंत्री कए भूटान क प्रधानमंत्री जिग्मे वाई थिनले क दिस स भूटान एबाक निमंत्रण देलथि।  ओ कहला-भूटान क प्रधानमंत्री बिहारक बदलाव स गदगद छथि आ चाहैत छथि जे अहां भूटान आबि, ओ अहां बाट ताकि रहल छथि। दोरजी कहला जे भूटान आ बिहार क प्रगाढ़ संबंध रहल अछि। एकरा आओर प्रगाढ़ बनाउल जाएत। ओ बिहार मे बदलाव आ विकास क लेल मुख्यमंत्री क भूरि-भूरि प्रशंसा केलथि। गृह मंत्री कहला जे रायल भूटान बिहार कए विकसित राज्य क रूप मे देखए चाहैत अछि। बिहार बदलि रहल अछि आ बिहार मे स्पष्ट रूप स बदलाव देखल जा रहल अछि। दोरजी मुख्यमंत्री कए बिहार क सुख-शांति क लेल विशेष प्रतीक चिह्न प्रदान केलथि। मुख्यमंत्री सेहो भूटान क गृह मंत्री कए प्रतीक चिह्न प्रदान केलथि। मुलाकात क दौरान दोरजी मुख्यमंत्री स इ अनुरोध केलथि जे बोधगया मे भूटानी मंदिर आ धर्मशाला क लेल जमीन उपलब्ध कराउल जाए। एहि मौका पर भूटान क गृहमंत्री क धर्मपत्नी आ भूटान सरकार क अधिकारी सेहो उपस्थित छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments