भारोत्तोलन मे विकास कए भेटल स्वर्ण

दरभंगा। कला संस्कृति आ युवा विभाग आ राज्य खेल प्राधिकरण क तरफ स राज्यस्तरीय पाईका एथेलेटिक्स आ भारोत्तोलन प्रतियोगिता मे दरभंगा क दूटा खिलाड़ी बाजी मारलक। दूनू क चयन राष्ट्रीय प्रतियोगिता क लेल भेल। जिला खेल पदाधिकारी कृष्ण मोहन पांडेय इ जानकारी देलाह। मालूम हुए जे छपरा मे 13 स 16 नवंबर तक भेल प्रतियोगिता मे बहादुरपुर प्रखंड क विकास कुमार भारोत्तोलन मे स्वर्ण पदक जीत कए दरभंगा क नाम रोशन केलथि अछि। विकास कए राष्ट्रीय प्रतियोगिता क लेल राज्य क टीम मे शामिल कएल गेल अछि जखन कि बहादुरपुर प्रखंड क नीतू कुमारी एथेलेटिक्स प्रतियोगिता मे रजत पदक जीत कए राष्ट्रीय प्रतियोगिता क लेल चयनित भेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments