भारी वाहन ट्रेनिंग सेंटर तैयार, 3 कए होएत उदघाटन

समदिया
पटना । औरंगाबाद स्थित इंस्टीट्यूट ऑफ ड्राइविंग एंड ट्रैफिक रिसर्च बनि कए तैयार अछि। बिहारक पहिल भारी मोटर ट्रेनिंग सेंटर क उदघाटन 3 मई कए होएत। 3 मई स ड्राइवर कए भारी वाहन चलेबाक एहि ठाम ट्रेनिंग लेब शुरु क देताह। परिवहन विभाग एहि मोटर ट्रेनिंग सेंटर क निर्माण केलक अछि। मारुति सुजुकी क सहयोग स तैयार एहि सेंटर मे एक संग 240 चालक कए ट्रेनिंग देल जायत। एहि ठाम दोसर जिला स भारी वाहन चलेनिहार ट्रेनिंग लेबा लेले 100 ड्राइवर कए रहबा लेल हॉस्टल क खेबा लेल कैंटीन क व्यवस्था कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments