भारत-नेपाल सीमा पर सड़क निर्माण नवंबर स, कैबिनेट देलक मंजूरी

0
3
esamaad maithili newspaper

पटना। राज्य कैबिनेट भारत-नेपाल सीमा क बिहार क हिस्‍सा मे प्रस्‍तावित दू लेन सड़क योजना कए मंजूरी द देलक। ईस्ट-वेस्ट कारीडोर क समानांतर इ सड़क (कुल 552.293 किलोमीटर) क 200 किलोमीटर कए गृह मंत्रालय क अनुमति प्राप्त अछि। पथ निर्माण विभाग क देखरेख मे नवंबर स एहि योजना पर काम आरंभ भ जेबाक उम्मीद अछि। एकरा 2015-16 तक पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। राज्य सरकार कुल लागत क 53.3 प्रतिशत वहन करत, 46.7 प्रतिशत राशि केंद्र सरकार देत। 3547.94 करोड़ क व्यय अनुमानित अछि। कैबिनेट क बैसार क बाद पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत कहला जे सड़क कए एलायनमेंट क रास्‍ता मे आबि रहल 121टा पुल क निर्माण पर खर्च लगभग 1891 करोड़ टकाक अछि जे राज्य सरकार वहन करत। एकरा लेल नाबार्ड स ऋण लेल जा रहल अछि। 3370.59 एकड़ जमीन अधिग्रहण पर 868.9122 करोड़ टका, पर्यावरण अनापत्ति प्रमाण पत्र पर 16 करोड़ टका आ यूटिलिटी शिफ्टिंग पर 10 करोड़ टका खर्च हेबाक अनुमान अछि। राज्य सरकार द्वारा कुल 896.31 करोड़ खर्च कैल जाएत। हुनकर अनुसार एहि परियोजना क तहत पश्चिम चंपारण जिला मे 11.098 किमी, पूर्वी चंपारण मे 77.242 किमी, सीतामढ़ी मे 89.925 किमी, मधुबनी मे 39.21 किमी, सुपौल मे 40.99 किमी, अररिया मे 102 किमी आ किशनगंज मे 91.70 किमी सड़क बनत। पूर्वी चंपारण मे इ सड़क एनएच 28 पर स्थित गोबरहिया स आरंभ भ कए पश्चिम चंपारण जिला क सहोदरा, इनरवा, सिकटा, पूर्वी चंपारण क रक्सौल, गुआवारी, सीतामढ़ी क बसवींट्टा, सोनबरसा, सुरसंड, भिट्ठामोड़, मधुबनी क अखाड़ाघाट, लदनिया, लौकहा, लौकही, झोरीचौक, करिऔथ, अंधरामठ, भूतहा चौक, सुपौल क सरायगढ़, भीमनगर, वीरपुर, अररिया क रिफ्यूजी कालोनी, जोगबनी, कुंआरी, सिकटी, किशनगंज क फतेहपुर, डुब्बाटोला आ पीलटोला होइत गलगलिया मे समाप्त भ जाएत। जल संसाधन विभाग क स्वामित्व वाला घोड़ासहन कैनाल, त्रिवेणी कैनाल, ललवकिया एफलक्स बांध, बैरगनिया रिंग बांध, एफलक्स बांध, पश्चिमी कोसी तटबंध, पूर्वी कोसी तटबंध क हिस्सा सेहो एलायनमेंट मे शामिल अछि। एहि एलायनमेंट मे 118 किमी क हिस्सा एनएच क सेहो अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page