भारत नेपाल क संबंध बेटी रोटी सन : उमेश

0
12
esamaad maithili newspaper

दरभंगा। नेपालक विद्वान डा. उमेश कुमार झा ललन कहला अछि जे भारत नेपाल क संबंध बेटी रोटी क अछि। दूनू देश क बीच राजनीतिक स्थिति जे हुए मुदा सामाजिक आ सांस्कृतिक संबंध मे कोनो अंतर नहि पड़ल अछि। ओ मिथिला संस्कृत स्नातकोत्तर अध्ययन आ शोध संस्थान मे अंतरराष्ट्रीय संबंध क विकास मे बिहार क योगदान विषय पर आयोजित संगोष्ठी क उद्घाटन सत्र मे अंतरराष्ट्रीय संबंध बनेबा मे बिहार क महत्व पर प्रकाश दैत कहला जे एहि ठामक क्रियाकलाप स देश नहि विदेश सेहो लाभान्वित होइत अछि। राजनीति विज्ञान क विद्वान डा. श्रुतिधारी सिंह अपन व्याख्यान मे कहला जे वर्तमान समय मे अंतर्राष्ट्रीय राजनीति मे शांति आ युद्ध क संबंध मे सोच बदलल अछि। एहि मे कोनो न कोनो रूप मे सब राष्ट्र कए आणविक रूप स जुड़ब महत्वपूर्ण कारण अछि। पत्रकार अमलेंदु शेखर पाठक विषय परिवर्तन करैत कहला जे सांस्कृतिक साहित्यिक आ शैक्षणिक क्षेत्र मे उत्कृष्ट क्रियाकलाप क कारण अंतर्राष्ट्रीय संबंध बनेबा मे मिथिलांचल आ बिहार क महत्वपूर्ण स्थान रहल अछि। संगोष्ठी कए डा. श्रीपति त्रिपाठी, डा. सीके तिवारी आदि सेहो संबोधित केलथि।

ज्ञानक केंद्र बनत संस्‍थान: अखैरी
दरभंगाक प्रमंडलीय आयुक्त गोविंद नारायण अखौरी कहला अछि जे मिथिला शोध संस्‍थान बहुत जल्‍द ज्ञानक एकटा महत्‍वपूर्ण केंद्र बनत। ओ मिथिला संस्कृत स्नातकोत्तर अध्ययन आ शोध संस्थान मे अंतरराष्ट्रीय संबंध क विकास मे बिहार क योगदान विषय पर आयोजित संगोष्ठी क उद्घाटन सत्र कए संबोधित करैत कहला जे इ संस्थान मिथिलांचल क धरोहर अछि। इ साठ साल स काज क रहल अछि मुदा आधारभूत संरचना क अभाव क कारण एकर यथोचित विकास नहि भ सकल अछि। संस्थान मे उपलब्ध बहुमूल्य पांडुलिपि आ पुस्तक क ज्ञान कए आदान-प्रदान करबा लेल आ एहि ठाम एबा लेल जिज्ञासु कए आकर्षित करबा लेल एकर विकास क जरूरत अछि। आयुक्त संस्थान क निदेशक कए एकर विकास लेल एकटा प्रोजेक्ट तैयार करबा लेल कहलथि अछि। ओ कहला जे वर्तमान समय मे राज्य सरकार क ध्यान एहन संस्थान कए विकास दिस अछि। बहुत जल्‍द इ संस्थान ज्ञान क एकटा मुख्य केंद्र बनत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page