भारत देत अतिरिक्त बिजली

नई दिल्ली। नेपाल क बिजली संकट कए कम करबाक उद्देश्य स भारत 100 मेगावाट आओर बिजली नेपाल कए देबा लेल तैयार भ गेल अछि। नई दिल्ली मे भेल दू दिवसीय ऊर्जा सचिव स्तरीय वार्ता क दौरान भारत इ फैसला लेलक अछि। नेपाल क ऊर्जा सचिव बालानद पौडेल कहला जे नेपाल क आग्रह कए स्वीकार करैत भारत 100 मेगावाट अतिरिक्त बिजली देबा लेल तैयार भ गेल अछि। ओ कहला जे भारत स इ बिजली लेबा लेल संचरण लाइन कए मरम्महत क जरूरत अछि जे एक दू मास मे भ जाएत। एकर बाद भारत स बिजली आयात शुरू भ जाएत। इ बिजली बिहार सीमा स नेपाल कए भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments