भारतीय लेल ओ आनन्दमय क्षण छल

दुबई स एसएन झा

Modi_Dubai_PTIसोमदिन दुबई क्रिकेट स्टेडियम मोदीमय भ गेल । अभूतपूर्व भीड़ देखि लगैत छल जेना दुबई नहि भारत मे भाषण भ रहल अछि । प्रधानमंत्री मोदी बिना लाग लपेट कए अपन ओजस्वी भषण स यूएई क भारतीय समुदाय कए मुग्ध क गेलनि । पूरा स्टेडियम विभिन्‍न समुदाय स खचाखच भरल छल । पचास हज़ार लोक क क्षमता वाला स्टेडियम क बाहर सेहो पंद्रह स बीस हज़ार लोक स्क्रीन पर कार्यक्रम देख रहल छल । यूएइ संग प्रगाढ होइत संबंध पर मोदी कहला जे लाख करोड़ डालर क निवेश यूएई भारत मे करत, एहि पर क़रारक अलाबा आतंकवाद पर पूर्ण सहयोगी बनत । यूएई ,संगहि आबूधाबी मे भब्य मंदिर क निर्माण होयत। मोदी आतंकवाद पर सख़्त लहजा मे चेतावनी देलनि तेकरा सब वर्ग करतल ध्वनि सँ समर्थन देलक। प्रधानमंत्री मोदी करीब एक घंटा तक भारतीय समुदाय कए संबोधित केलथि। ओ भारतीय कए नमन क भाषणक शुरुआत केलथि। कहला-‘हम एकटा लघु भारत क दर्शन क रहल छी। अहांक मादे भारत गौरव महसूस करैत अछि । भारत मे अगर वर्षा होइत अछि, त दुबई क हमर देशवासी छाता निकालि लैत छथि।” ओ कहला जे अगर भारत पर कोनो विपदा अबैत अछि, एहि ठाम बैसल भारतवंशी चैन स नहि सुतैत अछि। हुनक भाषण स पहिने  रंगारंग कार्यक्रम भेल। एहिमे इंटरनेशनल कलाकार अपन प्रस्तुति देलथि । मोदी क एहिठामक भारतीय मज़दूर प्रतिनिधि सँ आत्मीयता सँ भेंट करब आ ओकर रहन सहन क लेल जिज्ञासा केनाइ एहि ठामक भारतीय लेल आनन्दमय क्षण छल। मोदी एहिठाम खुला मंच सँ अपन यूएई यात्राक वृतांन्त  शेयर क सब भारतीय संग कए अपन  देश प्रेम कए प्रदर्शित केलनि।  मोदी क ई कार्यक्रम आन देश जेका दुबई मे सेहो सुपर हिट रहल ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments