भागलपुर-हंसडीहा सडक भेल एनएच-114ए

भागलपुर । 70 किलोमीटर लंबा भागलपुर-हंसड़ीहा मार्ग कए एनएच-114ए क रूप मे मान्यता भेटल गेल अछि। एनएच क सर्वे क काज सेहो शुरू भ गेल अछि। सर्वे मे एक मास क समय लगबाक उम्‍मीद अछि। पथ निर्माण विभाग क अधीक्षण अभियंता सत्येंद्र नारायण सिंह क अनुसार एनएच पर भागलपुर आ हंसडीहा क बीच कई ठाम कलवर्ट, पुल-पुलिया आ किछु ठाम पैघ पुल क निर्माण होएत। डेढ़ साल पूर्व सीपीडब्ल्यू विभाग द्वारा एहि सड़क क निर्माण कराउल गेल छल । सड़क सात मीटर चौडा बनाउल गेल छल। तत्काल सड़क क सात मीटर स बेसी चौड़ीकरण क योजना नहि अछि । ट्रैफिक क अनुसार सड़क क मजबूतीकरण कैल जाएत। सर्वे रिपोर्ट क बाद सड़क क डिजाइनिंग कैल जाएत। एहि मे ढाई स तीन मास क समय लागि सकैत अछि । भागलपुर-हंसडीहा मार्ग मे लखीसराय बाइपास क प्री-बिड टेंडर होएत। टेंडर क निर्णय मुख्यालय मे बैसार क लेल जाएत। अधीक्षण अभियंता कहला अछि जे एनएच-80 क काज चलि रहल अछि। बरसात स पहिने सबौर स जीरोमाइल तक काज पूरा करबाक योजना अछि। जीरो माइल स तिलकामांझी तक चौड़ीकरण लेल गढ्डा भराई क काज सेहो एहि मास तक पूरा भ जेबाक चाही ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments