भागलपुर स बौंसी गेल मेगा फूड पार्क

दुर्गा पूजा क बाद होएत शिलान्यास, सरकार देलक जमीन

भागलपुर : आब भागलपुर मे मेगा फूड पार्क नहि बनत। लाख प्रयासक बावजूद एहि जिला मे जमीन नहि भेट सकल। मेगा फूड पार्क आब बांका क बौंसी मे बनत। एक हजार करोड़ क एहि परियोजना मे लेल बिहार सरकार बौंसी मे स्थित बियाडा क 101 एकड़ जमीन द देलक अछि। एहि परियोजना क तीनू पार्टनर केंवेटर एग्रो, शक्ति सुधा आ बिग बाजार पैंटालून क एमडी पटना मे औद्योगिक विकास आयुक्त संग बैसार मे इ फैसला लेलथि। आब 18 सितंबर कए दिल्ली मे खाद्य प्रसंस्करण विभाग संग बैसार मे योजना पर अंतिम गुहर लागत।
शक्ति सुधा क एमडी आ पीएचडी चैंबर आॅफ कॉमर्स क अध्यक्ष आ सीआइआइ क बिहार सर्किल क पूर्व चेयरमैन सत्यजीत सिंह कहला अछि जे दुर्गा पूजा क लगाइत एकर शिलान्यास आ भूमि पूजन होएत। 11 मास मे प्रोजेक्ट पूरा होएत। ओ कहला जे अगर बिहार सरकार समय पर बौंसी क जमीन उपलब्ध नहि करा सकिते त इ परियोजना आन राज्य जा सकैत छल। सिंह कहला जे बिहार सरकार भागलपुर लेल एहि प्रोजेक्ट पर छह मास आर समय चाहैत छल, मुदा केंद्र सरकार एकरा लेल तैयार नहि छल। ओ कहला जे एहि प्रोजेक्ट मे बिहार सरकार सेहो एकटा पार्टी अछि। लिहाजा ओकर संग चलब जरूरी छल। ईंस्टर्न बिहार इंडस्ट्रीज एसोसिएशन क अध्यक्ष मुकुटधारी अग्रवाल कहला अछि जे आब प्रोजेक्ट कए बौंसी मे कोनो तरहक विरोध नहि हुए तेकर गारंटी सरकार कए लेबाक चाही।इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments