भागलपुर लेल कई करोड क योजना तैयार

भागलपुर। शहर क मुसलिम बहुल क्षेत्र आ स्लम एरिया क विकास पर कई करोड टका खर्च कैल जाएत। मेयर स वार्ता क बाद गर्वमेंट ऑफ इंडिया क मल्टी सेक्योरल डेवलपमेंट प्रोग्राम विभाग क अंडर सेक्रेटरी उज्जवल कुमार सिन्हा कहला जे 12वीं योजना क तहत निगम कए एक मुश्त राशि देल जाएत, जाहि स ओ शहर क विकास क सकताह। ओ मेयर दीपक भुवानियां स कहला जे सोलर लाइट सिस्टम, प्राथमिक विद्यालय आ उच्च विद्यालय क भवन निर्माण, आइटीआइ आ पॉलीटेक्निक कॉलेज खोलबा, नाला, सड़क निर्माण, नलकूप आ पाइन क पाइप सहित अन्य योजना कए पूरा करबा लेल केंद्र सरकार द्वारा निगम कए राशि देल जाएत। एकर अलावा सेहो कईटा योजना निगम द्वारा बना कए देल जाएत त राशि क व्यवस्था कैल जाएत।
ओ कहला जे 11म प्लान क तहत कटिहार, किशनगंज, पूर्णिया, सीतामढ़ी, दरभंगा, पश्चिमी चंपारण आ अररिया मे एखन धरि 500 करोड़ टका खर्च कैल जा चुकल अछि। 12वीं योजना क तहत भागलपुर कए चुनल गेल अछि। एकर पूर्व ग्रामीण क्षेत्र क विकास लेल राशि क स्वीकृति केंद्र सरकार करैत छल मुदा एहि बेर शहरी क्षेत्र लेल सेहो योजना बनाउल गेल अछि। एहि पर मेयर दीपक भुवानियां कहला जे शहर क लोक कए तुरंत फायदा होइवाला योजना पर कार्य कैल जाएत। एकर लकए सबटा पार्षदक संग रविदिन कए बैसार कैल जाएत आ संबंधित वार्ड क विकास कए लेल गप कैल जाएत। एहि मौका पर पार्षद संतोष कुमार, संजय सिन्हा सहित अन्य मौजूद छलाह।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments