भागलपुर मे रेडियो एफएम क शुभारंभ

भागलपुर। भागलपुर में सेहो एफएम रेडियो क प्रसारण शुरू भ गेल। लोकहित संस्था द्वारा संचालित भागलपुर क पहिल एफएम रेडियो स्टेशन रेडियो एक्टिव 90.4 एफएम क विधिवत उद्घाटन भाजपा सांसद शाहनवाज हुसैन केलथि। एहि मौका पर ओ कहला जे आब भागलपुर क लोक कए सेहो मनोरंजन क एकटा आर साधन उपलब्ध भ गेल अछि। आजुक क दौर में महानगर क पहचान एफएम रेडियो स होइत अछि। एक फरवरी स भेर 7 बजे स राति क 10 बजे तक रेडियो एक्टिव स नियमित प्रसारण होएत। वर्तमान में टेस्ट सिग्नल क रूप में सांझ 6 बजे स रातिक 10 बजे तक प्रसारण शुरू भेल अछि। लोकहित क सचिव सुधा झा कहलथि जे रेडियो एक्टिव कृषि, मौसम, ट्रैफिक, लोक-विद्या, लोक-गीत, शास्त्रीय आ गैर शास्त्रीय, गीत संगीत, गायन-वादन, संग-संग रेडियो जॉकी क बहुरंगी छटा स रेडियो एक्टिव सजल होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. hamar subhkamna je ee maithili fm nitprati chiranjivi hoit rahai, subhkamnak sang mithilak putra…………. Nitin Mishra……….
    Jai Mithila, Jai Maithili!!!!!!!!!!!!!!!!

Comments are closed.