भागलपुर मे बनत नव कृषि विश्वविद्यालय

पटना। अगर सब किछु ठीकठाक रहल, त बहुत जल्द राजेंद्र कृषि विश्वविद्यालय (पूसा) सेंट्रल यूनिवर्सिटी मे तब्दील भ जाएत। कृषि मंत्री रेणु देवी क अनुसार एहि संबंध मे केंद्र सरकार गंभीरता स विचार करि रहल अछि। मंत्री के अनुसार पूसा कए केंद्रीय विश्वविद्यालयक दर्जा भेटलाक बाद राज्य सरकार भागलपुर मे नव कृषि विश्वविद्यालय बनाउत। मंत्री क अनुसार सेंट्रल यूनिवर्सिटी क संबंध मे केंद्र सरकार सैद्धांतिक सहमति द देलकअछि। दिल्ली एहि स संबंधित प्रस्ताव (संपूर्ण जानकारी) मंगने छल, जे पठा देल गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि संबंध मे जून, 2008 मे प्रधानमंत्री कए पत्र लिखने छलाह। एहि आधार पर इ मसला एहि ठाम तक पहुंचल अछि। बताउल गेल अछि जे सेंट्रल यूनिवर्सिटी बनबाक स्थिति मे राज्य मे मौजूद संबंधित संस्थान आ संसाधन क बंटवारा कोना होएत? मंत्री क मुताबिक, ‘हम केंद्र सरकार क आगूक डेगक बाट ताकि रहल छी। हम सेंट्रल यूनिवर्सिटी बनबाकस्थिति मे भागलपुर मे एकटा कृषि विश्वविद्यालय बनेबाक सेहो तैयारी करि रहल छी

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments