भागलपुर मे तेसर थर्मल प्लांट लेल एमओयू, लागत एलपीजी रिफिलिंग प्लांट

पटना। प्रदेश मे विद्युत उत्पादन केन्द्र स्थापित करबाक होड़ शुरू भ गेल अछि। शुक्रदिन एईएस इंडिया प्राईवेट लिमिटेड 1320 मेगावाट (660-2) क बिजली उत्पादन केन्द्र भागलपुर क जगदीशपुर मे लगेबा लेल एमओयू पर हस्ताक्षर केलक। एहि स पहिने गंगा पावर एण्ड नेच्यूरल रिसोर्स पिरपैती मे 1320 मेगावाट क बिजली उत्पादन केन्द्र लगेबा लेल समझौता केने अछि। कलगांव मे पहिने स एनटीपीसीक थर्मल प्लांट चलि रहल अछि, एहि प्रकार स इ भागलपुर मे तेसर थर्मल होएत।
एहि बीच, भागलपुर लेल एकटा आओर नीक समाद अछि। इंडियन आयल कारपोरेशन लिमिटेड क जीएम (बीएसओ) बीबी चौधरी आ सीएम (बीएसओ) जयप्रकाश खाद्य एवं आपूर्ति मंत्री श्याम रजक स भेंट केलथि अछि। इंडियन आयल क अफसर खाद्य एवं आपूर्ति मंत्री कए इ जानकारी देलथि अछि जे इंडियन आयल क योजना भागलपुर मे शीघ्र एलपीजी रिफिलिंग प्लांट स्थापित करबाक अछि। मंत्री सेहो इंडियन आयल क अधिकारी कए हरसंभव मदद क आश्वासन देलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments