भागलपुर मे औद्योगिक विकास लेल बिछा रहल अछि क्लस्टर क जाल

भागलपुर। उद्योग विभाग क महाप्रबंधक ई. रामचंद्र सिंह कहला अछि जे जिलाक नारायणपुर मे केराक चिप्स क ऑटोमेटिक प्लांट लगबाक तैयारी चलि रहल अछि। जिला उद्योग केंद्र एकरा लेल स्वीकृति द देलक अछि। प्लांट एक करोड़ टका स तैयार होएत। श्री सिंह जिला मे उद्योग क विकास पर चर्च करैत कहला जे उद्योग विभाग लग कईटा प्रस्‍ताव अछि जाहि पर एक एक करि विचार कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे कहलगांव मे फ्लाई ऐश स ईट तैयार करबा लेल आ मिनी सीमेंट फैक्ट्री लगेबा लेल सेहो प्रस्ताव आयल अछि। सुल्तानगंज मे सेहो मिनी सीमेंट फैक्ट्री लगेबा क योजना अछि। नवगछिया मे केरा क रेशा स वस्तु तैयार करबा लेल उद्योग सेहो स्थापित कैल जा रहल अछि। विक्रमशिला मे बांस आधारित उद्योग, कहलगांव मे प्लास्टिक उद्योग, सन्हौला मे लहठी उद्योग क स्थापना कैल जा रहल अछि। एहि सबटा उद्योग क प्रस्ताव पर मंजूरी देल जा रहल अछि। सिंह क अनुसार पीरपैंती मे बुनकर क्लस्टर, शाहकुंड मे कंबल क्लस्टर, अलीगंज मे चावल क्लस्टर क योजना आगू बढल अछि। इ हस्तकरघा कलस्टर स अलग अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments