भागलपुर क बेटी क बॉलीवुड मे धमाल

पटना । आठ अक्टूबर कए रिलीज भ रहल फिल्म क्रुक स भागलपुर क नाम सेहो जुडल अछि। इमरान हाशमी क संग एहि फिल्म मे मुख्य रोल निभा रहल अदाकारा नेहा शर्मा भागलपुर क बेटी छथि। दक्षिण भारत मे दूटा कामयाब फिल्म मे अभिनय क जलवा दिखा चुकल नेहा आब बॉलीवुड मे धमाल मचेबा लेल तैयार छथि। महेश भट्ट क फिल्म क्रुक कए ल कए भागलपुर मे खास उत्साह अछि। नेहा शर्मा कांग्रेस नेता अजीत शर्मा क पुत्री छथि। नेहाक पिता सेहो एहि फिल्म क कामयाबी कए ल कए काफी उत्साहित छथि। सात अक्टूबर, 1987 कए भागलपुर मे जनमल नेहा माउंट कार्मेल स्कूल स दसवीं आ माउंट असीसि स बारहवीं क पढ़ाई केने छथि। एकर बाद नई दिल्ली स्थित निफ्ट स फैशन डिजाइनिंग क कोर्स पूरा केलथि। मॉडलिंग स फिल्म मे उतरनिहारि नेहा शर्मा दक्षिण भारत क दूटा सफल फिल्म मे अभिनय करि चुकल छथि। 28 सितंबर, 2007 कए चिरंजीवी क पुत्र रामचरण तेजा क संग हुनकर पहिल फिल्म चिरूथा रिलीज भेल छल। अपन फिल्म क्रुक क लांचिंग क लेल नेहा, इमरान हाशमी आओर निर्माता महेश भट़्ट पटना आएल छलथि। नेहा कहलथि जे ओ नियमित रूप स बिहार आ भागलपुर अबैत छथि, मुदा सुरक्षाक लेल एकरा सार्वजनिक नहि कैल जाइत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.