भागलपुर क आसमान भरल जहाज स

भागलपुर। सिल्क सिटी भागलपुर क लेल रविदिन किछु खास रहल। एयरपोर्ट पर एक संग कईटा एयरप्लेन कए लैंड करैत देख आम लोक कए किछु पल क लेल लागल जे शायद भागलपुर मे हवाई सेवा चालू भ गेल अछि। मुदा आकाश मे इ गहमा गहमी एकटा निजी कार्यक्रम कए ल कए छल। एहन माहौल शहर पहिनो देखने छल मुदा ओ जमाना जमींदारीक छल, राजा महाराजाक छल। लोकतात्रिंक व्‍यवस्‍था मे एहन माहौल शहर नहि देखने छल ताहि लेल इ महाराजी आयोजन देख स्‍तब्‍ध छल। रविदिन कई साल स खामोश रहैवाला भागलपुर एयरपोर्ट गोड्डा क भाजपा सांसद निशिकांत दुबे क घर मे आयोजित उपनयन समारोह मे शरीक हेबा लेल राजनेता स लकए सिने स्टार क विमान स व्‍यस्‍त रहल। चिलचिलाइत रौद क बावजूद एक स एक जहाज क स्वागत मे सांसद दिस स पाहुनक स्‍वागत मे लोक ठार छल।
दीपप्रभा सिनेमा हॉल क लग मे स्थित गोड्डा के भाजपा सांसद निशिकांत दुबे क घर मे कैल गेल सजाबट सेहो देखबा योग्‍य छल। समारोह मे झारखंड क मुख्यमंत्री अर्जुन मुंडा क अलावा भाजपा क पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष राजनाथ सिंह, वरिष्ठ पत्रकार प्रभु चावला, राज्यसभा सांसद बलवीर पुंज, जयप्रकाश सिंह, सिने स्टार सह सांसद शत्रुघ्न सिन्हा, पत्रकार दीपक चौरसिया, भाजपा नेता राजीव प्रताप रूढ़ी, देश क पैघ उद्योगपति प्रशांत रूइया, स्थानीय सांसद शाहनवाज हुसैन सहित अन्य वीआईपी लोक, विधायक आ अधिकारी स उपनयन समारोह क आकर्षण काफी बढि गेल छल। आम आदमी लेल इ समारोह इ उम्‍मीद जगा देलक जे शहर मे एहन आओर आयोजन स पैघ लोकक आवाजाही बढत आ एक न एक दिन आम आदमी सेहो भागलपुर हवाई अडडा पर कोनो यात्री विमान स उतरबाक सपना साकार करि सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments