भागलपुर आ सुल्तानगंज क 13टा सड़क होएत चकाचक

भागलपुर । मुख्यमंत्री नगर विकास योजना के अंतर्गत 13टा सड़कक निर्माण होएत। एहि मे किछु ठाम सड़क संग नाला सेहो बनत। भागलपुर नगर निगम क्षेत्र मे आठ आ सुल्तानगंज नगर परिषद क्षेत्र मे पांच टा सड़क बनेबा लेल चार अप्रैल कए टेंडर होएत।

जाहि बाट पर होएत काज

सुल्तानगंज नगर परिषद

1. मुरारका कॉलेज क मुख्य गेट स कला भवन गेट तक पीसीसी सड़क।

प्राक्कलित राशि : 6,09,553 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : तीन माह

2. वार्ड नंबर 14 मे चंद्रिका कुशवाहा क घर स अर्जुन राम क घर तक पीसीसी सड़क आ नाला

प्राक्कलित राशि : 2,18,436 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : तीन माह

3. महिया खान क घर स दक्षिण स उत्तर मुख्य रोड (एनएच-80) तक नाला क जीर्णोंद्धार ढक्कन समेत

प्राक्कलित राशि : 5,68,770 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : तीन माह

4. वार्ड नंबर 11 क प्रोफेसर कॉलोनी मे आनंद पाठक क घर तक पीसीसी सड़क

प्राक्कलित राशि : 11,92,298 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : तीन माह

5. सुल्तानगंज थाना क सामने एनएच-80 क श्यामबाग सड़क स अशोक झा क घर तक पीसीसी सड़क

प्राक्कलित राशि : 6,26,553 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : तीन माह

भागलपुर नगर निगम

1. आवास बोर्ड कॉलोनी क 6 एमएच/1 स 20 होइत 5 एनएच समेत मुख्य सड़क आ शाखा सड़क आ नाला निर्माण

प्राक्कलित राशि : 47,60,511 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : चार माह

2. बड़ी काली स्थान लग बढ़ई टोला संजय घोष क घर स गोपाल राय क घर तक सड़क निर्माण

प्राक्कलित राशि : 2,53,571 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : तीन माह

3. बरारी आवास बोर्ड क 6 एमएच 21 स 6 एलएम 51 तक आ जीरोमाइल स होइत हाउसिंग बोर्ड तक सड़क आ नाला निर्माण

प्राक्कलित राशि : 46,84,396 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : चार माह

4. वार्ड नंबर 4 मे मदनीनगर मे मस्जिद रोड मे पीसीसी सड़क आ नाला निर्माण

प्राक्कलित राशि : 12,96,250 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : तीन माह

5. वार्ड नंबर 28 मे नसीर सिपाही क घर स लक्ष्मी मोदी क घर तक शाखा रोड समेत पीसीसी सड़क आ नाला निर्माण

प्राक्कलित राशि : 27,28,034 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : चार माह

6. वार्ड संख्या 51 में कुतुबगंज चौरसिया समिति से बबरगंज होते हुए पासवान टोली तक पीसीसी सड़क

प्राक्कलित राशि : 31,36,634 रुपये

कार्य समाप्ति की अवधि : चार माह

7. वार्ड संख्या 44 मे जरलाही काली स्थान स मोजाहिदपुर थाने तक पीसीसी सड़क

प्राक्कलित राशि : 40,72,048 रुपये

कार्य समाप्ति क अवधि : चार माह

8. बरारी भीम मंडल क घर स पुल घाट शिव मंदिर तक सड़क आ शिव मंदिर क पाछु बडका नाला आ नाला पर पुलिया क निर्माण

प्राक्कलित राशि : 38,47,012 रुपये।

कार्य समाप्ति क अवधि : चार माह

—————
टेंडर क बाद निर्माण कार्य शुरू करबाक योजना अछि। निर्धारित समय अवधि मे ठेकेदार कए काज पूरा करबाक अछि।- दरोगा राम, कायर्पालक अभियंता, जिला शहरी विकास अभिकरण

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments