भट्टराई भेलाह नेपाल क प्रधानमंत्री

काठमांडू। माओवादी नेता डॉ. बाबूराम भट्टराई कए नेपाल क नव प्रधानमंत्री चुन लेल गेल। ओ नेपाली कांग्रेस क अपन प्रतिद्वंद्वी रामचंद्र पौडेल कए हरा देलथि। हुनकर जीत मे तराई क मधेसी दलक गठबंधन महत्वपूर्ण भूमिका निभेलक। एकीकृत नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (यूसीपीएन)-माओवादी क उपाध्यक्ष भट्टराई कए 340 मत भेटल जखनकि नेपाली कांग्रेस क संसदीय दल क नेता पौडेल 235 मत पाबि सकलाह। मधेसी दल क गठबंधन यूडीएमएफ सदन मे चारिम सबस पैघ राजनीतिक शक्ति क रूप मे उभरल अछि। इ भट्टराई कए समर्थन क फैसला केलक तखने स्थिति साफ भ गेल छल। भट्टराई वर्ष 2008 मे बनल माओवादी अध्यक्ष प्रचंड क सरकार मे उप प्रधानमंत्री और वित्त मंत्री छलाह। नेपाल क संविधान सभा मे कोनो दल कए बहुमत नहि अछि। इ देश क अंतरिम संसद क रूप मे काज करैत अछि। एहि मे यूसीपीएन-माओवादी क 236 टा सीट अछि आ इ सदन मे सबस पैघ पार्टी अछि। मुख्य विपक्षी दल नेपाली कांग्रेस क 114 टा सीट अछित्र इ संख्या बल क हिसाब स दोसर सबसे पैघ पार्टी अछि। एकर बाद तेसर र्टी सीपीएन यूएमएल क सदन मे 107टा सदस्य अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. nepal katek pradhan mantri banat. je kaj karbak chahi o ta ka nahi pabi rahal chathi matra satak bhukh.

Comments are closed.