आतंकवादी कए रखनिहार दरभंगा स गिरफ्तार

दरभंगा । राष्ट्रीय जांच एजेंसी (एनआईए) इंडियन मुजाहिदीन (आईएम) क एकटा शीर्ष आतंकवादी आ संगठन क संस्थापक यासीन भटकल क कथित नजदीकी सहयोगी कए सोमदि सांझखन दरभंगा स गिरफ्तार क लेलक। पुलिस क विशेष दल पिछला दू दिन स दरभंगा आ समस्‍तीपुर मे छापामारी क रहल छल।
एनआईए क अधिकारी क कहब अछि जे गिरफ्तार आतंकवादी क पहचान मोहम्मद जफीर अंसारी क बेटा मोहम्मद दानिश अंसारी क रूप मे कैल गेल अछि। एनआईए अधिकारी गिरफ्तार मोहम्मद दानिश अंसारी कए लहेरियासराय पुलिस थाना क्षेत्र स्थित चकजोरा गाम स पकडलथि।
सूत्र क कहब अछि जे पिछला साल दिल्ली क एकटा विशेष एनआईए अदालत दानिश क खिलाफ गैर-जमानती वारंट जारी केने छल। सुरक्षा एजेंसी काफी समय स दानिश क तलाश मे छल। एजेंसी क दावा अछि जे ओ भटकल कए रहबाक सुविधा उपलब्ध करेने छल जे कथित तौर पर एखन पाकिस्तान मे नुकायल अछि।
दानिश एकटा अन्य आतंकवादी वारदात मे सेहो वांछित अछि जेकर जांच दिल्ली पुलिस क रहल अछि। एहि बीच पटना स प्राप्त जानकारी क अनुसार दरभंगा प्रक्षेत्र क पुलिस महानिदेशक सुधांशु कुमार मोहम्मद दानिश क गिरफ्तारी क पुष्टि करैत कहला अछि जे एनआईए क टीम गिरफ्तार आरोपी कए मुख्य न्यायिक दंडाधिकारी क समक्ष पेश केलक अछि एकर बाद ओकरा अपन संग ट्रांजिट रिमांड पर दिल्ली ल जाएत।
ओ कहला जे इंडियन मुजाहिदीन क संदिग्ध आतंकवादी कए दरभंगा क रैयाम थाना क्षेत्र स पकडल गेल अछि। ज्ञात हुए जे एहि स पूर्व सेहो दरभंगा स कईटा आतंकवादी कए पकडल जा चुकल अछि, मुदा एहि बेर पहिने जेकां सथानीय पुलिस स नुका कए इ कार्रवाई नहि कैल गेल अछि, बल्कि एहि र्कावाई में स्‍थानीय पुलिसक मदद लेल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments