बोधगया आबि कए हम धन्य भेलहूं : दलाईलामा

बोधगया। तिब्बत क सर्वोच्च धर्मगुरु दलाई लामा कहला अछि जे पूरा संसार क कल्याण महात्मा बुद्घ क रास्ता पर चलबा स होएत। ओ कहला जे ओ विश्वशांति क कामना क लेल बोधगया एलथि अछि। तीर्थस्थल बोधगया मे बौद्घभिक्षु कए संबोधित करैत ओ कहला जे ओ महात्मा बुद्घ क ज्ञान प्राप्तिस्थल पर आबि कए अपना कए धन्य मानैत छथि। एहि स पूर्व धर्मगुरु बोधगया अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डे पर चार्टर प्लेन स पहुंचलाह। ओहि ठाम स ओ भारी सुरक्षा व्यवस्था क बीच सीधा तिब्बती मंदिर गेलाह। ओतहि किछु काल रहबाक बाद ओ महाबोधि मंदिर जाकए पूजा अर्चना केलथि। एकर बाद ओ बोधगया मल्टी मीडिया संग्रहालय क उद्घाटन केलथि। दलाई लामा 9 जनवरी तक बोधगया मे रहताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments