बेतिया मेडिकल कालेज मे 100टा सीट पर नामांकन क अनुमति

पटना : मेडिकल काउंसिल आफ इंडिया (एमसीआइ) बेतिया मेडिकल कालेज मे सौ सीट पर प्रवेश क अनुमति द देलक अछि। इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान मे एमबीबीएस क सौटा सीट क संदर्भ मे अनुमति पत्र पहिने जारी कैल जा चुकल अछि। पिछला सप्ताह काउंसिल बेतिया मेडिकल कालेज कए ‘लेटर आफ इंटेंट’ जारी केने छल। स्वास्थ्य विभाग क प्रधान सचिव व्यासजी क कहब अछि जे मेडिकल काउंसिल आफ इंडिया बेतिया मेडिकल कालेज मे सौटा सीट पर प्रवेश क औपचारिक अनुमति द देलक अछि। एमसीआई क टीम जून माह मे दूनू मेडिकल कालेज क दौरा क बाद एहि मे  एमबीबीएस क सीट पर दाखिला क अनुमति देबा स मना क देने छल। एकरा लेल दूनू मेडिकल कालेज मे आधारभूत संरचना क कमी कए जिम्मेदार बतेने छल। मुख्यमंत्री एहि संबंध मे केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री गुलाम नबी आजाद कए पत्र लिखकए हस्तक्षेप करबाक आग्रह केने छलाह। राज्य सरकार 2007 मे बेतिया मेडिकल कालेज क स्थापना केने छल।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.