बेगूसराय क बेटा आ मुजफ्फरपुर क बेटी कए भेटल रामनाथ गोयनका अवार्ड



नई दिल्ली । पत्रकारिता क क्षेत्र मे देश क सम्मानित रामनाथ गोयनका अवार्ड एहि साल बिहार क एकटा दंपति कए देल गेल अछि। एहि सम्मान क इतिहास मे एहन पहिल बेर भेल अछि जखन कोनो दंपति कए एकहि साल एकहि संग इ अवार्ड देल गेल अछि। न्यूज 24 क संस्थापक प्रबंध संपादक अजीत अंजुम कए टीवी पर रिपोर्टिग क लेल, ओतहि प्रिंट रिपोर्टिग क लेल हुनकर पत्नी आउटलुक क सहायक संपादक गीताश्री कए एहि साल क रामनाथ गोयनका अवार्ड भेटल अछि। नई दिल्ली मे आयोजित समारोह मे राष्ट्रपति इ पुरस्कार देलथि। अजीत कए इ पुरस्कार 2008 क कोसी बाढ़ क रिपोर्टिग, आ गीताश्री कए झारखंड, छत्तीसगढ़ आ मध्य प्रदेश क पिछड़ल इलाका स आदिवासी लड़की क तस्करी क सच दुनिया क सामने अनबा लेल देल गेल अछि। अजीत बेगूसराय क बेटा छथि, त गीताश्री मुजफ्फरपुर क बेटी छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments