बेगुसराय मे सजत ध्रुपद क महफिल

नई दिल्ली। मिथिला मे एक बेर फेर ध्रुपद क मांग बढि रहल अछि। आगामी दू अक्टूबर कए बेगुसराय मे दरभंगा घराना क कार्यक्रम भ रहल अछि। एहि घराना क दूटा पीढी एक संग गायन प्रस्तुत करत। गांधी जयंती आ स्थापना दिवस क मौका पर आयोजित होइवाला एहि कार्यक्रम में दरभंगा घराना क ख्यातिप्राप्त गायक प्रेमकुमार मल्लिक अपन पुत्र प्रशांत मल्लिक आ पुत्री प्रियंका मल्लिक संग ध्रुपद प्रस्तुत करताह। एहि कार्यक्रम क आयोजन बेगुसराय क दिनकर भवन में भ रहल अछि। कार्यक्रम में भाग लेबा लेल जेबा स पूर्व युवा ध्रुपद गायक प्रशांत मल्लिक इसमाद स एकटा चर्च मे कहला जे बेगुसराय मे कार्यक्रम प्रस्तुत करब एकटा अजीव सकून दैत अछि। दरभंगा प्रमंडलक एहि शहर में संगीत क प्रेमी कोना अभाव नहि अछि। प्रशांत कहला जे ओ अपन पिता आ बहिन संग ओहि ठाम ध्रुपद क किछु बंदिश आ किछु भजन प्रस्तुत करताह। कई बेर विदेश में कार्यक्रम प्रस्तुत करिनिहार प्रशांत मल्लिक कहला जे नवंबर में हुनक गायनक रिकार्ड एकटा जर्मन कंपनी जारी करि रहल अछि। ओ कहला जे मल्लिक परिवारक अगिला विदेश दौरा जनवरी तक प्रस्तावित अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments