बेउर जेल मे लागल बेकरी कारखाना

पटना। बेउर आदर्श कारा मे बेकरी कारखाना तैयार भ गेल अछि। बेउर जेल देश मे एहन तेसर जेल भ गेल जाहि ठाम ब्रेड तैयार कैल जाएत। सब किछु ठीक-ठाक रहल त 26 जनवरी एक एहि कारखाना स उत्पादन शुरू भ जाएत। बिहार आ झारखंड मे पहिल बेर कोनो जेल मे एहन कारखाना खोलल जा रहल अछि। एहि ठाम आधुनिकतम मशीन लगाउल गेल अछि। आशा कैल जा रहल अछि जे जनवरीक अंतिम सप्ताह स पीएमसीएच क मरीज कए आदर्श कारागार क कैदीक हाथ स तैयार ब्रेड जलखई मे देल जाएत। एहि बेकरी मे बेउर जेल क 25टा स बेसी कैदी काज करताह। जिनका प्रशिक्षित कैल जा रहल अछि। काराधीक्षक ओमप्रकाश क कहब अछि जे इ एक प्रकार स कैदी क पुनर्वास छी। एहि कारखाना स प्रतिदिन चार सौ ग्राम क 15 हजार पैकेट ब्रेड क उत्पादन होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments