बुद्ध क भिक्षापात्र काबुल स वैशाली अनबाक मांग

नयी दिल्ली । लोकसभा मे आइ भगवान बुद्ध क दिव्य भिक्षापात्र अफगानिस्तान क काबुल संग्रहालय स आनि कए वैशाली मे प्रतिष्ठित करबाक मांग कैल गेल अछि। राजद क प्रो रघुवंश प्रसाद सिंह शून्यकाल मे इ मामला उठबैत कहला जे भगवान बुद्ध कए इंद्र , कुबेर आदि देवता द्वारा प्रदत्त दिव्य भिक्षापात्र हुनकर महापरिनिर्वाण क पश्चात वैशाली मे प्रतिष्ठित भेल छल, मुदा ओकर करीब 600 वर्ष बाद कुषाण वंश क शासन मे अश्वघोष एकरा पुरुषपुर (पेशावर) ल गेलाह। बाद मे इ कंधार पहुंच गेल। प्रो सिंह कहला जे अफगानिस्तान क तत्कालीन राष्ट्रपति नजीबुल्लाह क कार्यकाल मे इ भिक्षापात्र काबुल क संग्रहालय मे आनल गेल। ओ कहला जे एहि दिव्य पात्र कए भारत मंगाउल जाए आ पुन: वैशाली मे प्रतिष्ठित कैल जाए। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments