बीसीसीआई टूर्नामेंट मे भाग लेत बिहार

पटना। बिहार क क्रिकेट खिलाड़ी आब अगिला महीना स बीसीसीआई स मान्यता प्राप्त टूर्नामेंट मे भाग ल सकैत अछि। बिहार क क्रिकेट संघ (बीसीए) कए पिछला साल बीसीसीआई स एसोसिएट सदस्य क दर्जा देल गेल छल। बीसीए दू टा अलग-अलग आयु वर्ग क टीम चुन चुनलक अछि। बीसीए अंडर 16 खिलाड़ी क एक टा टीम चुनलक अछि, जे एक दिसंबर स असम क सिल्चर मे मणिपुर स सामना करत, जखन कि दोसर अंडर 19 टीम 12 दिसंबर कए बीसीसीआई द्वारा प्रायोजित एसोसिएट मेंबर्स क्रिकेट टूर्नामेंट मे रायपुर क छत्तीसगढ़ क सामने होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments