बीपी मंडल सेतुक पिलर क मरम्मत बंद, यातायात ठप

पटना । कोसी नदी पर बनल बीपी मंडल सेतु क दूटा पिलर धंसबा स कोसी क लाइफलाइन एनएच 107 पर यातायात ठप भ गेल अछि। खगड़िया जिला क कोसी नदी पर डुमरी घाट मे स्थित बीपी मंडल पुल क दूटा पिलर धंसि गेल अछि। लिहाजा एहतियात क तौर पर पुल पर वाहन क परिचालन बंद करि देल गेल अछि। एहि पुल पर यातायात ठप भ गेल अछि। 29 अगस्त कए पुल क पिलर धंसब शुरू भेल छल, जेकर मरम्मत क काज चलि रहल छल। आब एहि पुल क मरम्मत मे जुटल मजदूर काज रोकि देलक अछि। लिहाजा प्रशासन कए एकर मरम्मत क काज पूरा करबा मे मुश्किल आबि रहल अछि। बीपी मंडल सेतु क बंद भेला स पूरा कोसी इलाका क राजधानी पटना स संपर्क कटि गेल अछि। एनएच 107 जेकरा कोसी इलाका क लाइफ लाइन कहल जाइत अछि, इ राष्ट्रीय राजमार्ग महेशकूट स सहरसा होइत मधेपुरा तक जाइत अछि। खगड़िया क दूटा ब्लॉक चौथम आ बेलदौर, एहि स बेसी प्रभावित भ रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments