बीपीएससी क नतीजा घोषित

पटना। आखिरकार लंबा इंतजार क बाद बिहार प्रशासनिक सेवा क नतीजा आबि गेल अछि। एहि परीक्षा मे कुल 366 उम्मीदवार कए सफल घोषित कैल गेल अछि। पहिल स्थान उत्तर प्रदेश क प्रशांत कुमार पउलथि अछि। 366 उम्मीदवार मे स 40 कए डीएसपी क पद भेटल अछि, जखन कि 164 सिविल एसडीओ क पद क लेल चयनित भेलथि अछि।
बिहार मे बीपीएससी क माध्यम स पहिल बेर सिविल एसडीओ क पद पर पहिल नियुक्ति कैल जा रहल अछि। बीपीएससी मे मुख्य परीक्षा मे 800 छात्र क चयन भेल छल। बीपीएससी क परीक्षा अपन सत्र क पाछु चलि रहल अछि। बीपीएससी 2002, 2003, 2004, 2005 आ 2006 क परीक्षा 2009 मे सेहो संपन्न नहि भेल अछि। एकरा देखैत बीपीएससी बोर्ड 48म स 51म सिविल सेवा क परीक्षा एक संग करबाक निर्णय लेने छल। जेकर बाद 2008 क मई मे प्रारंभिक परीक्षा लेल गेल छल।

परीक्षा क कट ऑफ अंक
वर्ग अंक
सामान्य 849
पिछड़ा द्वितीय 842
पिछड़ा प्रथम 816
अनुसूचित जाति 788
अनुसूचित जनजाति 816
पिछड़ी महिला 814

बिहार प्रशासनिक सेवा क रिजल्ट पर देखबा लेल लॉगऑन करू।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments