बीच मे स्कूल छोडि छात्र बनेलक कार सिक्योरिटी सिस्टम

पटना। स्कूल छोड़ि चुकल तीनटा छात्र मोबाइल फोन स कार क सुरक्षा क सिस्टम तैयार करि देश कए चौंका देलक अछि। बिहार क एकटा छोट सन गाम क रहनिहार एहि तीनू छात्र कए एहि आविष्कार कए देखबा लेल दूर दूर स लोक पहुंच रहल अछि। इ तीनू पूर्वी बिहार क मजरोही डीह गाम क छथि।
हिनकर आविष्कार क बदौलत अहां अपन मोबाइल फोन स कार कए लॉक करि सकैत छी। अगर कोई अहांक कार कए खोलबाक कोशिश करत त अहांक मोबाइल फोन क घंटी बाजि जाएत या फेर मल्टीमीडिया फोन पर  एसएमएस आबि जाएत।
तीनू छात्रक कहब अछि जे ओ टकाक कमीक कारण स एहि टेक्नोलॉजी कए एखन धरि पेटेंट नहि करवा सकला अछि। एहि लेल इ सब सरकार स मदद मांगी रहल छथि। देखबाक चाही जे के हिनकर मदद लेल सामने अबैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments